लेखक : हरिमोहन झा

ओहि दिन जनताक कल्याणपर विचार करबाक हेतु एक उच्चस्तरीय समिति बैसल छ्ल। दूर-दूरसॅं सदस्यगण आयल छलाह। एक सज्जन बजलाह-सभ अनर्थक जड़ि थिक ई महगी। मुद्रास्फीतिक कारण वस्तुक दाम नित्य प्रति बढल जाइत अछि। जावत धरि ई मूल्यवृद्धि नहि रोकल जायत तावत लोकक कल्याण नहि। तैं हमर विचार जे सर्वप्रथम चोरबजार आ भ्रष्टाचारक उन्मूलन कयल जाय।

दोसर गोटा कहलथिन्ह-कोना कयल जाय? छोटका चोरकें पकड़बाक भार जकरापर छैक से बड़का चोर अछि। इचना-पोठियाक ऊपर रऽहु-भाकुड़ बैसल अछि। ई मत्स्य-न्याय समस्त देशमे पसरल अछि। नीचाँसॅं ऊपर धरि। एहना स्थितिमे भ्रष्टाचार कोना दूर भऽ सकैत अछि? तैं हमर विचार जे सर्वप्रथम राष्ट्रीय चरित्रक निर्माण हैब आवश्यक अछि।

तेसर गोटा बजलाह-चरित्रक निर्माण के करत? 'स्वयासिद्धः कथं परान् साधयति! केवल नैतिकताक उपदेश देने कोनो फल नहि। जावत कठोरसॅं कठोर दंड-विधान नहि हैतैक तावत भ्रष्टाचार दूर नहि हैत। 'बिनू भय होहि न प्रीति।'

चारिम गोटा बजलाह-दण्ड-विधान तॅं छैके। किन्तु ओ कार्यान्वित कहाँ होइत अछि? एहि खातिर प्रशासन-यंत्रमे दृढता अनबाक चाही। जमाखोरी आ मिलावट करऽवला कें तेहन सजाय देल जाइक जे फेर ककरो साहस नहि होइक।

पाँचम गोटा कहलथिन्ह-केवल कानूनी दण्डसॅं काज नहि चलतैक। भ्रष्टाचारीक सामाजिक बहिष्कार हैबाक चाही। यदि समाजमे एहन चेतना जागि जाइक, तैखन भ्रष्टाचार दूर भऽ सकैत अछि।

छठम गोटा कहलथिन्ह-केवल भ्रष्टाचारे हॅंटने समस्याक समाधान नहि भऽ सकत। जावत उत्पादनमे वृद्धि नहि हैत तावत वस्तु सुलभ नहि हैत। तैं हमरा सभकें चाही जे अधिकसॅं अधिक उत्पादन करबामे समस्त शक्ति लगा दी।

सातम गोटा बजलाह-केवल उत्पादने बढौलासॅं काज नहि चलत। देशक जनसंख्या भयंकर रूपसॅं बढल जा रहल अछि। एतेक रास मुँह भरल कोना जायत? एक अनार, हजार बीमार। तखन ऊँटक मुँहमे जीरक फोरनसॅं की हैतैक? तैं हमर विचार जे युद्धस्तर पर परिवार-नियोजनक अभियान चलाओल जाय।

आठम गोटा कहलथिन्ह-केवल सरकारी ढोल पिटने गर्भाधान नहि रुकि सकैत अछि। स्त्री-पुरुष स्वेच्छा इन्द्रियसंयमक अभ्यास करथि, तैखन संतति-निरोध भऽ सकैछ। तैं हमर बिचार जे ब्रह्मचर्य-शिक्षापर जोर देल जाय।

नवम गोटा बजलाह-देशमे वीर नागरिक हो तखन राष्ट्र सबल भऽ सकैत अछि। से पौष्टिक आहार वेत्रेक नहि भऽ सकैत छैक। तैं हमर विचार जे प्रत्येक व्यक्तिक हेतु उचित मात्रामे शुद्ध दूधक व्यवस्था हो।

दसम गोटा बजलाह-जहाँ अन्ने दुर्लभ तहाँ शुद्ध दूध सभकें कहाँसॅं भेटतैक? चाराक अभावमे नचार भऽ लोक गाय पोसनाइ छोड़ि रहल अछि। गोरस सुखायल जा रहल अछि। तैं हमर विचार जे कृषि और पशुपालन पर सभ सॅं अधिक ध्यान देल जाय ।

एगारहम गोटा बजलाह - परंच खाद, बीज, जोताइ और सिंचाइक साधन ततेक कठिन भऽ गेल छैक जे खेतिहर सभ कानि रहल अछि । ताहि पर साले साल ई भीषण बाढ़ि आ सरकारी रिलीफ बाँटऽवला अफसरक धोधि और बेसी फूलल जा रहल छनि । एंटिकरप्सन डिपार्टमेण्ट कैं और अधिक सक्रिय बनैबाक चाही ।

बारहम गोटा कहलथिन्ह - किन्तु खैराते पर जनता कतेक दिन खेपत ? आत्मनिर्भरता हैब बहुत जरूरी छैक । गरीबी आ बेरोजगारी दूर हैबाक चाही । शिक्षा मे आमूल परिवर्त्तन हैबाक चाही । उद्योग-व्यवसायक वृद्धि हैबाक चाही । 'पर-कैपिटा' आमदनी बढ़बाक चाही । एखन लाखक लाख एहन व्यक्ति अछि जेकरा जनेरोक रोटी भेटब कठिन छैक । तैं सरकारे कैं चाही जे विलासिता आ फिजूलखर्ची पर कड़ा रोक लगा देअए ।

सभाध्यक्षक एहि भाषणक समर्थन मे जोर सॅं करतल घ्वनि-भेल ।

तावत लंच टाइम भऽ गेलैक ।

सेक्रेटरी टेबुलपरक घंटी बजा देलथिन । तत्क्षण सभक आगाँ मे चाय, कटलेट, करी, पोलाव, केक, फुडिंग, रसमलाइ आ आइसक्रीमक पथार लागि गेलनि । सदस्य लोकनि जनताक असीम कष्ट सॅं करुणार्द्र चित्त होइत भोजन मे दत्तचित्त भऽ गेलाह ।

तदनन्तर रुमाल सॅं हाथ मूँह पोछि सभ गोटे 'बिल-फार्म' पर अपन-अपन यात्रा-भत्ताक हिसाब जोड़ि आफिसक किरानीक हाथ मे थम्हा देलथिन, जकर कुल राशि दू सहस्र टाका भेलैन्ह । सदस्यगणक सम्मिलित विचार भेलैन्ह जे एक दिन मे त सभ समस्या कें समाधान हैब असंभव, तैं पुनः अग्रिम बैसक मे सुभ्यस्त भऽ विस्तार पूर्वक विचार कैल जाय । पन्द्रह दिनक भीतरे दोसर तिथि निर्धारित कैल गेल । तदुपरान्त सभ गोटे चुरुट पिबैत अपन-अपन कार मे जा बैसलाह ।

(एकादशी' सॅं )