लेखक : हरिमोहन झा

वैद्यनाथधामसॅं गाम अबैत रही। ओहि डिब्बामे एक बंगाली सज्जनक परिवार छलैन्ह। बंगाली बाबू, हुनक स्त्री, एक युवती कन्या तथा एक स्तनन्धय शिशु। ओ लोकनि एक सम्पूर्ण गद्दापर अपन एकाधिकार स्थापित कएने छलाह। ओहि बेंचपर और केओ आबि कए बैसए से हुनका लोकनिकें अभीष्ट नहि छलन्हि। तैं खूब पसरि कए बैसल छलाह। संगहि-संग पेटी-बिस्तर ओ अन्यान्य सामानक तेहन चक्रव्यूह बनौने छलाह जकरा भेदि कय प्रवेश कयनाइ ककरो हेतु सहज नहि छलैक। आगन्तुक शत्रुसॅं मोर्चा लेबाक हेतु बंगाली बाबू स्वयं अगिला मोहड़ापर बैसल छलाह।

शेष बर्थ लोकसॅं गचागच भरल छल।

झाझामे दुइटा मारवाड़ी सज्जन चढलाह। बेस भारी भरकम। अढाइ-अढाइ मनसॅं कम नहि। बंगाली बाबू आक्रमणकारीकें आयल देखि अपन दुर्गरक्षाक हेतु सन्नद्ध भय गेलाह। दुनू सज्जन एम्हर-ओम्हर ताकि बंगाली बाबूकें सम्बोधन कय कहलथिन्ह-'उधर भोत जगह है! आप जरा खिसक जाइये तो हमलोग भी बैठ जाँय।'

बंगाली बाबू बिगड़ि कय बजलाह-'जोगह कहाँ है? दोशर डब्बा देखिये।'

मारवाड़ी-'बाबू शाब! और कहीं जगह नहीं है। जरा आप ही तकलीफ कीजिए।'

परन्तु बंगाली बाबू टस-सॅं-मस नहि भेलाह। अगत्या दुनू मारवाड़ी सज्जन हमरा लोकनिक बर्थ लग आबि ठाढ भय गेलाह। कोनो-कोनो तरहें बैसएबाक समावेश कयल गेलन्हि।

ओम्हर बंगाली बाबू अपन प्रौढा पत्नीकें आरामसॅं ओङठि जयबाक ब्योंत अगाबए लगलाह। हुनका कष्ट नहि होइन्ह तदर्थ एकटा गलतकियो राखि देलथिन्ह।

गिद्धौरमे एकटा वृद्धा चढलीह। दीनतापूर्ण दृष्टिसॅं बंगाली बाबू दिस तकैत ठाढि भय गेलीह। परन्तु बंगाली बाबू ओहि मूक-प्रार्थनासॅं विचलित होमयबला जीव नहि छलाह। ओ दोसर दिस ताकय लगलाह, जेना लोक भिक्षुकसॅं आँखि फेरि लैत अछि।

अन्तमे बूढी स्पष्ट शब्दें एक बीत बैसबा योग्य स्थानक भिक्षा मङलथिन्ह। बंगाली बाबू एहि हेतु पहिनहिसॅं तैयार छलाह! कहलथिन्ह-'जोनानी गाड़ीमे जाइये, जोनानी मे!'

बूढी कहलथिन्ह-'जनानी गाड़ीमे स्थान नहि छैक। हमरा एक स्टॆशन जयबाक अछि। जमुइमे उतरि जाएब।'

बंगाली बाबू उत्तर देलथिन्ह-'एक स्टेशन जाना है। तब तो उशी माफिक खड़े-खड़े भी चोलने शोकता है।'

ई कहि बंगाली बाबू और पसरि कए बैसि गेलाह। हम स्वयं ट्रंकपर बैसि गेलहुँ आ वृद्धाकें अपना स्थानपर बैसा देलिअन्हि। ओ हमरा आशीर्वाद दैत बैसि गेलीह और जमुइ पहुँचलापर उतरि गेलीह।

जमुइमे तीनटा गोरखा चढल। डाँड़मे एक-एक हाथक खुखरी खोंसने। ओ सभ सोझे बंगाली बाबू दिस धावा कय देलकन्हि।

बंगाली बाबू फराकेसॅं घुड़की देलथिन्ह-'इधर कहाँ आने माङता है? दोशर डोब्बामे जाओ।'

परन्तु नेपाली बोको की बुझौ! हुनक किलाबन्दीकें धङैत-धङैत लगमे पहुँचि गेलन्हि। बंगाली बाबू भयभीत होइत बजलाह-'ओ रे बाबा! जोनाना शोभ के मुड़ी पर बोशेगा की? हाम एलार्म खींचता है।'

बंगाली बाबू धड़फड़ा कए जिंजिर खिंचबाक हेतु उद्यत भेलाह। ई देखि नेपाली सभ हॅंसैत दोसरा कोठलीमे चल गेल।

आब बंगाली बाबू सुभ्यस्त भए थर्मस बहार कएलन्हि। हुनक स्त्री पियाला सभमे चाह भरि भरि कए बाँटए लगलथिन। कन्या टिफिन-केरिअरसॅं बिस्कुट बहार कएलथिन्ह। सभ गोटे चाह-पानीमे लगलाह।

तावत गाड़ी किउल पहुँचि गेल। एक सज्जन हाथमे 'आनन्द बाजार पत्रिका' नेने कोठलीक सामने पहुँचलाह। हुनका पाछाँ दुइटा स्त्री बङला परिधानमे छलथिन्ह आर एकटा दस वर्षक बालक।

हुनका देखितहि बंगाली बाबू सोर कएलथिन्ह-'मोशय! एइदिगे आशुन'।

दुइए मिनटक भीतर दुहू परिवार दूध-चीनी जकाँ घुलि-मिलि कए तेना एकाकार भऽ गेल जे अनठिआक हेतु फुटकाएब कठिन छलैक।

हम अनुमान कयल जे नवागन्तुक व्यक्ति बंगाली सज्जनक कोनो आत्मीय सम्बन्धी होइथिन्ह। परन्तु जखन दुनूमे वार्तालाप होमए लगलन्हि, तखन बुझल जे हिनका दुनूकें पूर्वमे कहियो भेट नहि छलन्हि। बंङलामे जे बातचीत भेलन्हि ताहिसॅं हमरो किछु परिचय भेटि गेल।

ई जे सज्जन पहिनेसॅं बैसल छथि तनिका नाम छन्हि राखाल बनर्जी। नदिया जिला घर छन्हि। मेरठमे ठिकेदारी करैत छथि। दुर्गापूजामे देश आयल छलाह। आब पुनः काजपर जा रहल छथि। कन्या आइ. एस. सी. मे पढि रहल छथिन्ह।

नवागन्तुक छथि अतुल बनर्जी। घर छन्हि मुर्शिदाबाद। जमालपुरमे डाक्टरी करैत छथि। बड़का भाइ बम्बइक एक मिलमे इंजीनियर छथिन्ह। भतीजी बी.ए. मे पढैत छथिन्ह, तनिक विवाह हएतन्हि। तैं माय तथा स्त्री-पुत्रकें लऽ कऽ ओतए जा रहल छथि।

आब बनर्जी तथा चटर्जी परिवारमे शिष्टाचारक आदान-प्रदान होमऽ लागल। बनर्जीक पत्नी चटर्जीक माताकें आँचर जोड़ि कऽ प्रणाम कएलथिन्ह। चटर्जी पत्नी बनर्जीक शिशुकें कोरामे लऽ दुलार करऽ लगलथिन्ह। बनर्जीक कन्या चाह बिस्कुट लऽ कऽ चटर्जीक पत्नीक आगाँ बढा देलथिन्ह। बनर्जी महाशय चटर्जीक बालककें पुछलथिन्ह-'बलो, की पऽड़ छऽ।'

चटर्जी साहेब नीचाँ उतरि कऽ पूरी तरकारी लऽ अएलाह। चटर्जीक पत्नी परसय लगलथिन्ह। बनर्जीक पत्नी टिफिन-केरिअरसॅं खीरमोहन बहार कए ओहिमे मिला देलथिन्ह। सभ गोटे तेना सहज भावसॅं खाय लगलाह जेना एके परिवारक होथि।

ई दृश्य देखि हमरा अपूर्व आनन्द भेल। मनमे अनेक भावक तरंग उठए लागल। एहि दुनू परिवारकें कहियो पूर्वक भेंट नहि। प्रायः एकरा बाद पुनः भेंट हैबाक संभावनो नहि। तथापि एतबे कालमे, आर एतबे कालक हेतु, दुनूमे कतेक अपनैती भऽ गेलैक अछि! इएह कारण थिक जे एहि जातिक सर्वत्र अभ्युदय छैक। इएह बनर्जी महाशय जे थोड़ेक काल पहिने पाथरक मूर्त्ति भेल बैसल छलाह, तनिकामे एकाएक सरसताक स्रोत कोना फूटि पड़लन्हि? ई 'आनन्द बाजार पत्रिका' क माया थिक। बंगभाषामे एतेक शक्ति छैक जे दू नितान्त अपरिचित व्यक्तिकें क्षण भरिमे ऎक्य सूत्रमे बान्हि देलक। यदि कदाचित बंगला भाषाक ई प्रताप मैथिलिओमे आबि जइतैक? परन्तु....

इएह सभ सोचैत-सोचैत मोकामाघाट आबि गेल। इच्छा तॅं रहए जे ई अभिनव दृश्य-जे अपना देशमे देखब दुर्लभ अछि-किछु और दूर धरि देखैत चली। परन्तु मोकामाघाटमे उतरबाक छल।

जहाजसॅं गंगा पार कए अपना भूमिपर पयर देलहुँ। सिमरिया घाटमे ट्रेन लागल छल। परन्तु ओहिमे जे दृश्य देखल से आइ धरि ओहिना आँखिमे नाचि रहल अछि।

हाथमे गंगाजली नेने एकटा वृद्धा चढए चाहै छथि, परन्तु लोक चढए नहि दैत छन्हि। गाड़ीक भीतर मल्लयुद्ध भय रहल अछि। वृद्धाक बेटा दरबाजा खोलि कऽ भीतर जयबाक हेतु भगीरथ प्रयत्न कए रहल छथि और ओम्हरसॅं तीन -चारि गोटे गरदनिया दऽ कऽ बाहर ठेलि रहल छन्हि।

वृद्धाक हाथमे एकटा साजी आओर गंगाजली छन्हि। पाछाँमे पुतहु अपन दुग्धपा शिशुकें नेने ठाढि छथिन्ह।

वृद्धाकें अपन एकमात्र सरवन पुत्रक भरोस छन्हि। तैं चुपचाप ठाढि छलीह। परन्तु जखन देखलन्हि जे बेटाक कंठपर चारि गोटे सवार अछि त चिचिआ उठलीह-'हे औ बाबू लोकनि! हम नेहोरा करै छी। हमर सरवन पूत छओ माससॅं दुखिताह छथि। हुनका चढऽ दिऔन्ह।'

परन्तु वृद्धाक अनुनय पर केओ ध्यान नहि देलकन्हि। सरवन पूतकें बाहर धकेलि कऽ भीतरसॅं दरवाजा बन्द कऽ लेलकन्हि।

वृद्धा कलपि कऽ कहए लगलथिन्ह-'हे औ बाबू! हमरो लोकनिकें चढा लियऽ। हम सभ ठाढिए जाएब। दोहाइ बाबू भैयाकें। बहुत पुण्य हएत।'

परन्तु वृद्धाक कातर प्रार्थना आरण्यरोदन भेलन्हि। पुतहु बेचारी नेनाकें नेने अवग्रहमे पड़लि। जहाँ स्वामी ओ सासु बजनिहार मौजूद छथि तहाँ ओ की बजतीहि? अपना स्थानपर संकुचित भेलि ठाढि रहलीहि। कुलवधूक अनुरूप शालीनतापूर्ण मर्यादा कैं ओ एहूठाम नहि छोड़ि सकलीहि । कोना छोड़थु ? मिथिलाक कन्याक जन्मे एहि हेतु होइ छैन्ह ओ पृथ्वी जकाँ सर्वसहा बनि कऽ रहथि । तखन ओ देवी अपन जन्मसिद्ध कुलीनताक कोना त्याग करथु ? सहिष्णुताक मूर्ति बनल ठाढ़ि रहलीहि ।

जखन हमरा नहि देखल गेल तखन ओहिठाम जा पहुँचलहुँ और कोठलीक भीतर वला यात्री सभ कैं संबोधन कय कहलिऎन्ह - देखू , एतीकाल सॅं अहाँक एकटा देशी भाय नेहोरा कऽ रहल छथि, संग मे वृद्धा माता छथिन्ह, प्रसूतिका स्त्री छथिन्ह । अहाँ लोकनि कैं कनेको विचार नहि अछि ?

एक गोटे बजलाह - देशी भाय छथि तैं कि माथ पर उठा लिअन्हि ? एहि मे जगह कहाँ छैक ?

हम कहलिऎन्ह - देखू , अहाँ लोकनि जॅं अपन मोटरी नीचा राखि ली तॅं ई तीनू गोटे खुशी सॅं बैसि जा सकैत छथि ।

एक गोटा उत्तर देलन्हि - मोटरी मे खैएबा-पिउबाक वस्तु अछि । नीचा कोना रहत ?

हम - तॅं ऊपर वर्थ पर राखि दिऔक । हे , ई बेचारे कहुना ठाढ़ो भेल चल जैताह , परन्तु ई दू टा अबला जे छथि । अहूँ लोकनिक संग मे स्त्रीगण छथि । हुनके बीच मे बैसा दिऔन्ह ।

दोसर गोटे बजलाह-से कोना हएतन्हि? ओहिठाम बच्चा सूतल छैक। ओकरा हम पिचाए दिऔक?

हम-अहाँक बच्चा नहि पिचाएत। ई लोकनि ओहि कोनमे सटि कऽ बैसि जइतीह! हिनका संगमे तॅं ओहूसॅं छोट नेना छन्हि। अपने सन्तान जकाँ दोसरोके बूझक चाही।

आब तरह-तरहक बोली भीतरसॅं आबए लागल।

एक-ओकील बनि कऽ पैरबी करए आएल छथिन्ह।

दोसर- सभटा कानून एहीठाम झाड़य आयल छथि।

तेसर-बड़े दरेक होइ छन्हि त अपने जगहपर किएक ने लऽ जाइत छथिन्ह।

चारिम- हमरा लोकनि जतए बैसल छी, ततएसॅं किन्नहु नहि हटि सकैत छी।

हम विनयपूर्वक कहलिअन्हि-बेस, तॅं अहाँ लोकनिकें कनेको घुसुकबाक प्रयोजन नहि। ई दुनू सासु-पुतहु एहि पेटीपर बैसि रहतीहि। और हिनका कतहु ठाढ होएबाक जगह दिऔन्ह।

कोठलीक यात्रीगण एक दोसराक मुँह ताकए लगलाह। एक गोटाक मनमे किछु दयाक संचार भऽ उठलन्हि। कहलथिन्ह- की करबहक? आबऽ दहक।

हम श्रवणकुमारकें सम्बोधन करैत कहलिअन्हि-अहाँ लोकनि अबै जाउ। ई लोकनि जतए देखा देथि, बैसि जाउ।

श्रवण कुमार आगाँ बढलाह। हुनका पाछाँ वृद्धा माता। ततः पर सलज्जा पुत्रवधू।

हम आश्वस्त भय अपना डिब्बामे गेलहुँ। जीवनमे एकटा पुण्य कार्य तॅं आइ भेल। इएह विचारैत खिड़कीसॅं बाहर देखैत छी कि देह सिहरि उठल। श्रवण कुमार कोठलीक मुँहमे आधा प्रवेश कएने छथि, वृद्धा माता रेलक पाओदानपर ठाढि एक पैर भीतर देबय चाहैत छथि, गजगामिनी पुत्रवधू एक चरण प्लेटफार्मपर ओ दोसर पाओदानपर देने छथि। गाड़ी खुजबा-खुजबापर अछि।

तावत पाछासॅं एक झुंड मोगल हू-हू करैत पहुँचि गेल और वृद्धा तथा पुत्रवधूकें ठेलि कऽ नीचाँ करैत, श्रवणकुमाकें धकेलि बाहर करैत, अपने सभ भीतर चलि गेल। गाड़ी चलए लागि गेल। श्रवणकुमार नीचाँ खसि पड़लाह। वृद्धा माताक ओ करुण दृष्टि और कुलवधूक मुखपर ओ विवशताक चिह्न एखनधरि हमरा नहि बिसरैत अछि । ओ बिसरबाक वस्तुओ नहि।

तहियासॅं हम नहि जानि कतेक बेर एहि प्रश्नपर विचार कैने हैब। चटर्जीक माता ओ बनर्जीक पत्नीमे जे मर्यादा छलन्हि सहए मर्यादा तॅं एहू वृद्धा ओ युवतीमे छलन्हि। परन्तु हुनक नारीत्वक आदर किएक नहि भेलन्हि? बंगालिनी वृद्धा जकाँ एहू वृद्धाकें केओ अपना स्थानसॅं उठि हाथ धऽ कऽ किएक नहि बैसौलकन्हि? आर ई जे गृहिणीत्वक गरिमासॅं मण्डित कुलवधू छलीह से कि चटर्जीक पत्नीक समान आसनपर बैसाबए योग्य नहि छलीह? हुनकर केओ उचित सत्कार किएक नहि कैलकन्हि ? गाड़ीमे तॅं कतेको स्त्री छलीह, किएक ने किनको भेलन्हि जे बनर्जीक पत्नी जकाँ आगाँ बढि प्रेमपूर्वक अपना लग लऽ जैअन्हि? बनर्जीक शिशु जकाँ हुनको बच्चाकें दुलार करएवला केओ किएक ने भेटलैन्ह?

हम जतेक अधिक एहिपर सोचै छी ततेक समस्या जटिल भेल जाइत अछि। गाड़ीमे भरि कऽ अपन देशवासी रहथि! परन्तु जखन चारिटा आगा पहुँचि गेलन्हि कि सभ सकदम! किनको बजबाक साहस नहि पड़लैन्ह। टुकुर-टुकुर माता ओ कुलवधूक अपमान देखैत रहि गेलाह। शोणितमे रंचमात्र उफान किऎक ने उठलन्हि? किऎक ने केओ जिंजिर खिचबाक हेतु ठाढ भेलाह? किऎक ने केओ सपूत एहन बहरएलाह जे श्रवणकुमारक हाथ धए भीतर लऽ अबितथि और सासु-पुतहुक मार्ग प्रशस्त बना कहितथिन्ह-अहाँ लोकनि अबै जाउ!

बात अछि जे बंगवासी अपना लोककें माथपर चढबैत छथि और हमरा सभ अपना लोककें पएरसॅं ठोकरबैत छी।

थोड़बे दूरक तॅं अन्तर छैक। तखन बंग ओ मिथिलाक भूमिमे एतेक भिन्नता किऎक? 'पद्मा' ओ 'कमला' तॅं एक्के अर्थक वाचक थिकीह, तखन दुनूक पानिमे एतबा अन्तर किऎक?